पिताक चिताक समक्ष एकटा पुत्र प्रण करैत अछि
प्रतिशोध लेबा धरि चैन नहि लेब
शिविर मे प्रशिक्षण लैत मुजाहिदीन प्रण करैत अछि
दुनिया भरि केँ दारूल-इस्लाम बना कए रहब
कार मे आर.डी.एक्स. लादैत क्रांतिकारी सोचैत अछि
जिद्दी सरकारक कुर्सी केँ हिला कए रहब
संयोग देखू संयुक्त राष्ट्र संघ आ गामक पंच दुनू कहैत अछि
अहां लोकनि चुप रहू हमरा लोकनि न्याय दिया कए रहब
हमरा आँखि मे सबटा चित्र
एक-दोसर मे मिज्झर होइत
रक्तक नदी मे हेल-डूब करैत रहैत अछि
जएह दिन सएह दिन बांचल अछि
एहि सबहक लेल हमरा अहांक संवेदना.

neek lagal