VIDEHA

Archive for the ‘फूलडालीक कनेर’ Category

फूलडालीक कनेर

In कृष्णमोहन झा, फूलडालीक कनेर on April 23, 2009 at 1:05 am


कृष्णमोहन झा

जिलेबीक काँट जकाँ
हम अहाँक धानक लाबा सन तरबा मे गड़ि जायब
आ किछु दिन धरि बिसबिसायब

चतुर्थीक औंठी आ बरसाइतक मेहदी जकाँ
हम अहाँक विकल संसर्ग मे आयब
आ असंख्य सुग्गा बनि
अहाँक मोन मे उड़ियाएब

हम तँ फूलडालीक कनेर छी
अहाँक लौलसा मे भीजल देवता पर चढब
आ पराते
हजारो-हजार मौलायल फूलक संगे
नहि जानि कोन धार-पोखरि मे विलीन भ’ जायब!

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.