VIDEHA

Archive for the ‘बिहार उत्सव’ Category

दिल्लीमे बिहारक संस्कृतिक झलक

In नृत्यांगना पुनीता शर्मा, बिहार उत्सव, विनीत उत्पल on March 18, 2009 at 2:45 am

दिल्लीमे पिछला दिन लागल जेना बिहारमे आबि गेल छी. होली आओर महिला दिवसक अवसर पर बिहार उत्सवक आयोजन कएल गेल. लोक बिहारक लोकगीत आओर लोकनाटकक संग कत्थक नृत्यक आनंद उठएलन्हि. नृत्यांगना पुनीता शर्मा अपन बेहतरीन नृत्यसँ लोककेँ झूमय लेल मजबूर क’ देलखिन्ह. कत्थक नृत्य यात्रा थीम पर छल. एहिमे जीवन यात्राक मर्मकेँ खूबसूरतीसँ पेश कएल गेल. कत्थक नृत्यक फ्यूजनमे बचपन…युवा आओर प्रौढावस्थाक संग सुख-दुख…राग-द्वेष…प्रेम-नफरत जैसन विविध रंगसँ जीवनक मर्म समझाबय के कोशिश कएल गेल.
ई कार्यक्रम दिल्लीक सामाजिक संस्था राग विराग एजुकेशनल एंड कल्चरल सोसाइटी क ओर सँ कएल गेल. कार्यक्रमक शुरूआत संतोष नागर जीक वायलिन वादनसँ भेल. एहि के बाद भेल छल यात्रा. पुनीता जीक कोरियोग्राफीमे भेल एहि नृत्य नाटिका राग भटियार… बागेश्वरी… दरबारीसँ होइत राज जोगसँ खत्म भेल. एहिमे सविता अधिकारी… साक्षी कुमार आओर सुलगना राय अपन नृत्यसँ मन मोहि लेलखिन्ह. एहि नृत्य नाटिका यात्राकेँ संगीत देलन्हि कासिफ खान.
उत्सवक आखिरमे युवा कलाकार अंशुमाला बिहारमे पावनि… त्योहार…खुशीक मौका पर गाबय जाए वाला गीत पेश कएलन्हि। एहिमे कजरी… जट-जटिन… शादी-विवाह आओर होली पर गाबय जाय वाला गीत छल. लोक नाटक वाला हिस्सामे जयशंकरजी खुशबू आओर वंदनाक संग ‘जट-जटिन’ प्रस्तुत कएलन्हि.

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.