VIDEHA

Archive for the ‘मिथिला चित्रकला’ Category

‘विदेह’ १५ जुलाई २००८ ( वर्ष १ मास ७ अंक १४ ) 7. मिथिला कला(आँगा) चित्रकार- तूलिकादेवोत्थान एकादशी

In चित्रकला, मधुबनी चित्रकला, मिथिला चित्रकला, Mithila painting on August 1, 2008 at 5:02 pm


7. मिथिला कला(आँगा)
चित्रकार- तूलिका, ग्राम-रुद्रपुर, भाया-आन्ध्रा-ठाढ़ी, जिला-मधुबनी।

देवोत्थान एकादशी कार्तिक शुक्ल एकादशीकेँ मनाओल जाइत अछि, एहि दिन क्षीरसागरमे भगवान निन्नसँ जागल छलाह। गोसाउन घरमे आऽ तुलसी लगमे अरिपन होइत अछि। अरिपन पिठारसँ होइत छैक, सिन्दूर सेहो लगाओल जाइत छैक। तुलसी लगमे मखान, नारिकेर, मिश्रीक प्रसाद चढ़ैत अछि।
भादव मासक एकादशीक दिन भगवान शंखासुर राक्षसकेँ मारि कए गाढ़ निन्नमे सूति गेलाह, आऽ कार्तिक शुक्ल एकादशीकेँ उठलाह, देवोत्थान ईएह अर्थ अछि।तुलसी तरक देवोत्थान अरिपन नीचाँक रीतिए बनाओल जाइत अछि।

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.