VIDEHA

Archive for the ‘मैथिली भाषा केर पहिल ई पत्रिका’ Category

मैथिली भाषा केर ई पत्रिका

In मैथिली भाषा केर पहिल ई पत्रिका on October 3, 2008 at 10:17 pm

मैथिली भाषाक पहिल ई पत्रिका “विदेह” क १९ टा अंक ई-प्रकाशित भऽ चुकल अछि आऽ एकरा एखन धरि (१ जनवरी २००८ सँ २ अक्टूबर २००८ धरि)७०,४९७ बेर देखल गेल अछि (गूगल एनेलेटिक्स डाटा)।

“विदेह” मैथिली ई-पत्रिकाक नव १९ म अंक आऽ पुरान १८ टा अंक देखबाक लेल नीचाँक लिंक पर जाऊ।
http://www.videha.co.in/

अपन रचना-सुझाव-टीका-टिप्पणी ई-मेलसँ पठाऊ-
ggajendra@videha.com पर।

For reading just released 19th issue and 18 old issues of “VIDEHA” Maithili e-journal go to the link below:-
http://www.videha.co.in/

Send your creation-suggestion through e-mail to-
ggajendra@videha.com

पथक पथ- गजेन्द्र ठाकुर

स्मृतिक बन्धनमे
तरेगणक पाछाँसँ
अन्हार गह्वरक सोझाँमे
पथ विकट। आशासँ!

पथक पथ ताकब हम
प्रयाण दीर्घ भेल आब।

विश्वक प्रहेलिकाक
तोड़ भेटि जायत जौँ
इतिहासक निर्माणक
कूट शब्द ताकब ठाँ।

पथक पथ ताकब हम
प्रयाण दीर्घ भेल आब।

विश्वक मंथनमे
होएत किछु बहार आब
समुद्रक मंथनमे
अनर्गल छल वस्तु-जात

पथक पथ ताकब हम
प्रयाण दीर्घ भेल आब।

विदेह ई-पत्रिकाक सभटा पुरान अंक ( ब्रेल, तिरहुता आ देवनागरी मे ) पी.डी.एफ. डाउनलोडक लेल विदेह आर्काइवमे उपलब्ध अछि। All the old issues of Videha e journal ( in Braille, Tirhuta and Devanagari versions ) are available for pdf download in Videha Archive.

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.