VIDEHA

Archive for the ‘रामदेव झा’ Category

रामदेव झा-निर्जल मेघ

In निर्जल मेघ, रामदेव झा on October 9, 2009 at 1:55 am

राशि-राशि मेघ आबि
पड़ाएल जाइत अछि
पश्चिम दिस
प्रतीक्षककें डुबा क’
निराशाक सागरमे –

जेना कोनो
फ्लैग स्टेशन पर
कोनो एक्सप्रेस ट्रेन
हड़हड़ाइत जाइछ चल।

आ ठाढ़, प्लेटफारम पर
मोसाफिर देखि-देखि
ठकुआएल रहि जाइत अछि।

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.