VIDEHA

Archive for the ‘सटै जँ ठोर अनचिन्हारक अन सँ त बुझिऔ होली छैक’ Category

सटै जँ ठोर अनचिन्हारक अनचिन्हार सँ त बुझिऔ होली छैक-गजल

In आशीष अनचिन्हार, गजल, फगुआ, सटै जँ ठोर अनचिन्हारक अन सँ त बुझिऔ होली छैक on March 10, 2009 at 9:26 am

गजल

सटै जँ ठोर अनचिन्हारक अनचिन्हार सँ त बुझिऔ होली छैक
बाजए जँ केओ प्यार सँ त बुझिऔ होली छैक

बेसी टोइया-टापर देब नीक नहि भाइ सदिखन अनवरत
निकलि जाइ जँ अन्हार सँ त बुझिऔ होली छैक

केहन- केहन गर्मी मगज मे रहै छैक बंधु
मनुख बचि जाए जँ गुमार सँ त बुझिऔ होली छैक

की दुख होइत छैक चतुर्थीक राति मे नहि बुझि सकबै
हँसी जँ आबए कहार सँ त बुझिऔ होली छैक

जहाँ कनही गाएक भिन्न बथान तहाँ सुन्न- मसान
होइ कोनो काज सभहँक विचार सँ त बुझिऔ होली छैक

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.