स्वार्थ और प्रेमार्थ एक माय – बाबु के दू शन्तान एगो स्वार्थ रूप में जे केवल अपने ही टा सब किछ बुझैत आ जानैत अछि – दोसर प्रेमार्थ रूप में जे प्रेम के अलाबा किछ और नै जानैत अछि , नही धन सम्पत्ति से मतलब राखैत अछि , ई शब्दक भावर्थ हर मनुष्य में पायल जायत अछि , जकर हम उदाहरन मैथिल आर मिथिला के जरिय पाठक गन के सामने लके हाजिर छि —
स्वार्थ – हमरा में अनेक प्रकार से अनेक रूप समायल अछि ,
प्रेमार्थ – हमरा में शिर्फ़ एगो सत्य प्रेम रूप समायल अछि ,
स्वार्थ – हमरा लोग कलंक नाम से जानैत अछि,
प्रेमार्थ – हमरा लोग सत्य धर्म से जानैत अछि ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप में एक दोसर से आगू -अगु कदम बढ़बैत अछि ,
प्रेमार्थ – हम प्रेम रूप से मिलके कदम बढ़बैत छि ,
स्वार्थ – हमरा घमंड ता में महंता प्राप्त अछि ,
प्रेमार्थ – ई घमंड रावण में देखलो जाह कारण ओकर सर्ब नास भागेल ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप के कारण हिसा में सुई नोक के बराबर से मतलब राखैत छि ,
प्रेमार्थ – से महाभारत में दुर्योधन के देखलो जाही कारण कौरव बांस के अंत भगेल ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप के कारण हम अलग रहब ख़ुशी से जियब हमर ई धरना अछि,
प्रेमार्थ – हम दुःख दर्द सहब मिलके रब हमर ई कामना अछि,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप में हिंसा आ धर्म के कुन् मोल नहीं ,
प्रेमार्थ – प्रेम में आस्था के कारण हर जीव् – जंतु से एक अलगे मोल रहित अछि,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप में के वल दिखाबती मात्र रहैत अछि ,
प्रेमार्थ – प्रेम में केवल एगो असली रूप जकरा बस्तिविकता कहैत अछि ,
स्वार्थ – एक दोसर से ठकनाय या गलत बतेनाय ,स्वार्थ के प्रथम रूप छि ,
प्रेमार्थ – एक दोसर से मिलेनाय आ आत्मा के शांति देनाय प्रेम के प्रथम रूप छि ,
स्वार्थ – स्वार्थी सदिखन अपन शारीरक सुख से \ में लिप्त रहैत अछि ,
प्रेमार्थ – प्रेमार्थी सदिखन जगत कल्याण सुख के लेल ब्याप्त रहैत अछि ,
स्वार्थ – स्वार्थ के अन्तो गत्व पराजय निहित अछि ,
प्रेमार्थ- प्रेम के सदा विजय लिखित अछि ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप के कारण प्रेम तत्व से घिर्ना राखैत अछि ,
प्रेमार्थ – प्रेम रूप में घिर्ना या नफरत सब एक में समेटल रहैत अछि ,
स्वार्थ – अधिक बोली अधिक वचन , अधिक अभिमान , अधिक बैमान, अधिक शैतान, स्वार्थ के चरमशीमा अछी,
प्रेमार्थ – प्रेम में कुनू शीमा लिखित नाहिअछि,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप के कारण ज्ञान से परिपूर्ण रहितो शही उपयोग नै त् ज्ञान स्वार्थी भेल ,
प्रेमार्थ – ज्ञान प्रेम के अहम भूमिका निभाबैत अछि , जकरा लोग निस्वार्थी भाब कहैत अछि ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप एगो विशुद्ध आत्मा अछि, जकरा अंत केनाय हर जीव् -जन्तु के हर रूप में सम्भब अछि , प्रेमार्थ – प्रेम एगो शुद्ध आत्मां में बिराज मन रहैत अछि ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप में धन के लालच रखनाय ब्यर्थक निहित अछि ,
स्वार्थ – स्वार्थ रूप में धन के लालच रखनाय ब्यर्थक निहित अछि ,
प्रेमार्थ – खली हाथ एनाय खली हाथ जेनाय प्रेम भाब में लिखित अछि स्वार्थ – स्वार्थ भाब से \ में सेवा केनाय पाप के भागी होयत अछि ,
प्रेमार्थ – प्रेम भाब से \ में सेवा केनाय पुन्य के भागी होयत छैथ ,
स्वार्थ – स्वार्थ , कच्ची मैट के बर्तन जेका होयत अछि , जे बारिस के बाद पैन में बिलीन भ जैत अछि ,
प्रेमार्थ – प्रेम पाथर जेका कठोर आ मजबूत होयत अछि , स्वार्थ -स्वार्थ रूप – के फल करू होयत अछि ,
प्रेमार्थ – प्रेम रूप – के फल मीठ होयत छैक,
जय मैथिल जय मिथिला
मदन कुमार ठाकुर
पट्टीटोल , भैरब स्थान , झंझारपुर ,मधुबनी , बिहार ,भारत -८४७४०४
mo- 9312460150E -mail – madanjagdamba@yahoo.com

