VIDEHA

Archive for the ‘हमर गाम’ Category

हमर गाम-प्रवीण झा

In प्रवीण झा, हमर गाम on March 18, 2009 at 6:07 pm

उत्‍तर मे अछि डेवढ., फुलपरास
दक्षिण, पश्चिम सुदै, तरडीहा
पूब में बहै छ‍थि मातु कौशिकी
मध्‍य हमर गाम घोघरडीहा

पूर्वकाल मे गोमाताक डीह तेँ
नाम एकर छल “गोघरडीहा”
कालक्रमे अपभ्रंश शब्‍द मे
नाम बदलि भेल “घोघरडीहा”

मधुबनी जिलाक ई थिक गौरव
पुष्‍पवाटिका मे जेना चम्‍पाक सौरभ
अतिरूद्र, लक्षचण्‍डी यज्ञक महाप्रयाण
हमर गाम कहायल “यज्ञग्राम”

सन् 89 क महायज्ञकेँ अभिनन्‍दन
स्‍तुति केलक बी.बी.सी. लंदन
चौबिस मन्दिर, तेइसटा पोखरि
बाग-बगीचा भेटत सभतरि

दलाने-दलान सत्‍संग आ प्रवचन
दुर्गापूजा मे नाटक आ प्रहसन
“काली”, “दुर्गा”, “भोला बाबू”
फेर सँ ओहने यज्ञ कराबू

रेलवे स्‍टेशन, हाट-बाजार
हमरा गामक जमल व्‍यापार
सत्‍यनारायण सर्राफ, फूस सुल्‍तानियॉं
मारवाडी बंधु आ देशवाली दोकानियॉं

अधिसूचित क्षेत्र, प्रखंड मुख्‍यालय
आई.टी.आई, स्‍कूल, महाविद्यालय
राजनीति आ ज्ञान-विज्ञान
रहन-सहन आ खान-पान

शिक्षा-दीक्षा, कला-संस्‍कृति
हमर गाम वास्‍तविक अनुकृति
सब सँ सुन्‍दर अछि महान्
हमर गाम आ मिथिलाधाम ।

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.